Saturday, December 7, 2024

नीरज साहके बिना ढेउवाके अभियानमे दियालो क्लबके सहयोग

[sharethis-inline-buttons]

पछिल्लाे समाचार

रौतहट ।। रौतहट जिल्लाके सदरमुकाम गौर स्थित राइम मिलमे करिब दुइ दशकसे निरन्तर रुपमे बालबालिकाके पढावइत आएल नीरज साहके अभियानमे दियालो युवा क्लब सहयोग कएले हए ।
शिक्षा पेशासे आवद्ध भेल गरिब,असाहय परिवारके बालबच्चाके बिना ढेउवाके पठन पाठन करावइत आएल साहके काममे दियालो क्लब शैक्षिक सामग्री सहयोग करके थप उर्जा आ हौशाला प्रदान कएले हए ।
दलित,गरिब,असहाय परिवारके १५० जना बालबच्चाके पढेके लेल शैक्षिक सामग्री प्रदान कएले क्लबके अध्यक्ष विक्रम यादव बतएले छत । शनिचरके आयोजित एक कार्यक्रम बिच क्लवके अध्यक्ष यादव शिक्षक नीरज साहके उक्त शैक्षिक सामग्री हस्तांतरण कएले छत ।
कार्यक्रममे सम्बोधन करइत आधारभूत विद्यालयके बाल मन्दिरके प्राध्यानाध्यापक गेणश प्रसाद यदाव निशुल्क शिक्षा प्रदान करके साह बहुत बढिया काम कएले कहइत सराहना कएले छत । शिक्षा दान महादान हए प्रध्यानाध्यापक यादव कहलन अइसन काम सब न करसकइत हए ऐमे सबके सहयोग भेल जरुरी हए ।
आधारभूत विद्यालयमे गरीब,असहाय,विपन्न आ टूहुरा बाल बच्चाके निशुल्क रुपमे नामांकन करेके प्रतिवद्धता व्यक्त कएलन ।
नेपाल पत्रकार महासंघ रौतहट शाखाके सभापति प्रेमचन्द्र झा शिक्षक नीरज साहके इ अभियानमे सहयोग करेके धारना राखलन । हुन राइस मिलके भवनके बरन्दामे विगत २३ वर्षसे अपन निजी स्रोतसे बालबालिकाके पढावल बडा योगदान भेल उल्लेख कएलन ।
ट्युसन पढावे वाला बालबच्चाके स्थानीय सरकार आ निर्वाचित जनप्रतिनिधिसब बइठेवाला व्यवस्थाके साथे शैक्षिक सामग्री समय समयमे सहयोग करेके बतएलन । अध्यक्ष झा अपन तर्फसे सहयोग करेके बचन समेत देलन ।
नेपाल पत्रकार महासंघके पूर्व अध्यक्ष रविन्द्र प्रसाद साह अइसन काम करेवालाके और प्रोत्साहन करेमे जोड देलन । जनता समाजवादी पार्टी नेपालके वर्गीय संगठन समाजवादी मध्यसे कुछ बालबच्चाके अपन तर्फसे सामुदायिक विद्यालय चाहि निजी विद्यालयमे पढावेके प्रतिद्धता जनऐलन । बहुत दिनसे बालबच्चाके निशुल्क रुपम पढावइत आएल नीरज साह बालबच्चाके भविष्यके कर्णधार भेलासे अपन रुची इ क्षेत्रमे जादा रहल बतएलन ।
हुन विद्यालयके जाएके क्षमता नभेल चाहि पढावेमे सामर्थ नभेल गरीब परिवारके बालबच्चाके शिक्षा देके भविष्य सुधारेके छोट प्रयास कर रहल जिकिर कएलन ।
ठन्डा आ वर्षके समयमे बालबच्चाके पढावेमे समस्या उत्पन्न होखले । दलित,गरीब परिवारके जादा बालबच्चा रहलासे लगावेवाला कपडा ,जुत्ता,बैग के आवश्यकता हए ।
गौरके शिक्षाके आगे बढावेमे साहके भूमिका रहल गौर नगरपालिकासे बालबच्चाके बइठके पढेके लेल व्यवस्था मिला देवल जरुरी हए । बोरामे बइठके पढेमे बाध्य बनल बच्चासबके नगरपालिकासे मैट,बैग,शैक्षिक सामग्री उपलब्ध करा देवेला कार्यक्रममे सहभागी भेल वक्तासबके जोड रहल ।
निरंजन यादव सञ्चालन कएले कार्यक्रममे नीरज साहके पतिा,माता,लगायत संचारकर्मीसबके सहभागिता रहल रहे ।

spot_imgspot_img
spot_img

लोकप्रिय